आब कक्षा ८ सँ १२ धरि ग्रेडिङ प्रणाली

0

बैशाख–२गते, शिक्षा मन्त्रालय आब कक्षा ८ सँ १२ धरि ग्रेडिङ प्रणालीसँ विद्यार्थीके सिकाइ मूल्यांकन करके भेलअछि । पाठ्यक्रम विकास केन्द्रके कार्यकारी निर्देशक कृष्ण प्रसाद काप्री कक्षा ९ आ ११ के नतिजा याह् वर्षसँ ग्रेडिङसँ सार्वजनिक होबके बतोलनिअछि । गत वर्ष एसएलसीमे ग्रेडिङ प्रणाली अनुसार सिकाइ मूल्यांकन कएलगेल विद्यार्थीके ११ कक्षाके मूल्यांकन सेहो व्याह् विधिसँ कऽर लागलअछि ।कक्षा ८ आ १२ के वार्षिक परीक्षाके नतिजामे ०७४ सालसँ यी विधि अपनाओल जएवाक काप्री बतौलनि । सब कक्षाके ग्रेडिङमे गत वर्षजजका नौ टा तह राखलगेलअछि । परीक्षामे ९० सँ १०० धरिके ए प्लस, ८० सँ ९० के ए, ७० सँ ८० के बी प्लस, ६० सँ ७० के बी, ५० सँ ६० के सी प्लस, ४० सँ ५० के सी, ३० सँ ४० के डी प्लस, २० सँ ३० के डी आ ० सँ २० धरि नम्बर लाबबलाके ई ग्रेड देलजायत । केन्द्र कक्षा १० के माध्यमिक शिक्षा परीक्षामे सी आ ओयसँ कम ग्रेड प्राप्त करबला विद्यार्थीसभ सब विषयके परीक्षा व्याह् वर्ष देऽब पाबके जनौलकअछि । गत वर्ष दु विषयमे डी आ ई ग्रेड लाबएबला विद्यार्थीसभ मात्र मौका परीक्षा देबऽ पओनेछल ।‘विगतमे दु विषयमे मात्र मौका परीक्षा देब पाबके व्यवस्था रहलछल । आब सीसँ कम ग्रेड आएल विद्यार्थीसभ सब विषयके परीक्षा देबऽपाओत’ काप्री कहलनि, ‘अय वर्षके जका आंशिक (एक्जाम्टेड) परीक्षार्थी आब नै ह्यात ।’ गत वर्षधरि दु विषयमे डी आ ई ग्रेड पओने विद्यार्थीसभ मात्र ग्रेड वृद्धिके परीक्षा देबऽ पबैछल । आब एस ई ई देबबला विद्यार्थीसभ सी आ ओयसँ कम ग्रेड प्राप्त कएने सब विषयके ग्रेड वृद्धि परीक्षे व्याह् वर्ष देबऽ पाओत ।

Share.

Leave A Reply