आपसमे विभिन्न रंग आ अबिर लगाक शुभकामना आ सद्भाव साटासाट कऽ मनाओलऽजायबला मिथिलाञ्चलक होरी पावनी भेल सम्पन्न

0

चैत–१ गते,आपसमे विभिन्न रंग आा अबिर लगाक शुभकामना आ सद्भाव साटासाट कऽ मनाओलऽजायबला होरी अर्थात फागुपावनि सोमदिन जनकपुर सहित तराईअक विभिन्न क्षेत्रमे मनाओलगेलअछि । सोमदिन भिन्सरेसँ तराईमे बसोबास करबलासभ एकआपसमे रङ आ अबीर लगाक खुशीयाली साटासाट कर्वाक क्रम भिन्सरेसँ सुरु भेलछल । बसन्त ऋतु आगमनके उल्लाससँगे फागुन महिनामे मनाओलऽजायबला अय पावनिमे एक आपसमे रंग लगएवाक चलन रहलअछि । होरीके अवसरमे जनकपुरक कपिलेश्वरमे जोगीरासभ फगुवा गीत गाविक होरी मनौनेअछि  । जनकपुरमे पहिनेके तुलनामे अय वर्ष होरी खेल्वाक तरीका एकदमे निक भेल बताओलगेलअछि ।

Share.

Leave A Reply