आठ हजार पर्यवेक्षक मतदान केन्द्रमे खटाओलगेल

0

बैशाख ३१ गते,करिब २० वर्षबाद होबऽ लागल स्थानीय तहके निर्वाचनक विषयमे अनुगमनके लेल ३४ जिल्लाके मतदान केन्द्रमे पर्यवेक्षकसभ पहुँचलअछि ।विज्ञापन मार्फत छानलगेल ४९ सङ्घसंस्थाके आठ हजार एक सय ४९ पर्यवेक्षक उपत्यका सहितक ३४ जिल्लामे आय होबबला पहिल चरणके निर्वाचन पर्यवेक्षणके लेल सम्बन्धित स्थानमे पहुँचल निर्वाचन आयोग जनौलकअछि । आयोग दु चरणके निर्वाचनमे करिब ४९ हजार नौ सय ४७ पर्यवेक्षकसभ पर्यवेक्षण कर्वाक जनौलकअछि ।निर्वाचन आयोगक प्रवक्ता सूर्यप्रसाद शर्मा आयोग एकटा संस्थासँ खटल पर्यवेक्षकसभ एकटा जिल्लासँ अलग सेहो सब प्रदेशके हिमाल, पहाड आ तराईके करिब सय मतदान केन्द्रमे जायपर्वाक निर्देशन देलगेल बतौलनिअछि ।   निर्वाचन आयोग निर्वाचनके स्वच्छ आ निष्पक्ष बनाब पर्यवेक्षणके लेल १२ बुँदे काम कर्तव्य बनौलकअछि ।आचारसंहितामे मतदानसाथे सरोकार राखबला सम्बद्ध पक्षसाथे निर्वाचनसम्बन्धी विषयमे स्वतन्त्रतापूर्वक संवाद करके, पर्यवेक्षण आचारसंहिता अन्तर्गत रही निर्वाचन सम्बन्धी विषयमे स्पष्ट होबके, आयोग वा मातहतके अधिकारीसभसँ जारी कएने अधिकार क्षेत्रसम्बन्धी जानकारी लेबके, निर्वाचन प्रचार अभियान, मतदाताके निर्वाध आवतजावत, संवेदनशील निर्वाचन सामग्रीसभ (मतपेटिका, मतपत्र आदि) के ओसारपसार, मतदान प्रक्रिया, मतगणना, निर्वाचन परिणाम आ सञ्चारमाध्यममे पहुँच ईत्यादि बातके पर्यवेक्षण करके, निर्वाचन सम्बन्धी प्रक्रियाके विभिन्न चरणमे तोकलगेल अनुसार राजनीतिक दलसभके सहभागिता रहल÷नैरहल विषयमे जानकारी लेबपर्वाक बात उल्लेख कएलगेलअछि ।पर्यवेक्षक संस्था मतदान कार्य पूरा भेल १५ दिनभितर प्रारम्भिक प्रतिवेदन आ ३० दिनभितर अन्तिम प्रतिवेदन अनिवार्य रूपमे आयोगमे बुझाबपर्वाक रहलअछि ।

 

 

 

Share.

Leave A Reply