आइपिएलमे गुजरात ८ विकेटसँ पराजित, हैदराबाद दोसर स्थानमे

0

बैशाख ३१ गते,इन्डियन प्रिमियर लिग (आटइपिएल) क्रिकेटमे सनराइजर्स हैदराबाद गुजरात लायन्सके ८ विकेटसँ हरौलकअछि । गुजरात देने १ सय ५५ रनके लक्ष्य हैदराबाद ११ बल बाँकी रहिते दु विकेटके नोक्सानीमे पूरा कएनेअछि । जितसँगे हैदराबाद प्ले अफमे छनौट भेलअछि ।हैदराबादक लेल डेबिड वार्नर ५२ बलमे ६९ रन, विजय शंकर ४४ बलमे ६३ रन बनौलनि । अहिना शिखर धावन ११ बलमे १८ रन बनौलनि । गुजरातके प्रविण कुमार दु विकेट लेलनि । जितसँगे हैदराबाद अंक तालिकाके दोसर स्थानमे रहलअछि । १४ खेलसँ हैदराबादके १७ अंक भेलअछि ।अयसँ आगा टस हार्लाकबाद पहिल ब्याटिङ कएने गुजरात १९ ओभर दु बलमे १ सय ५४ रन बनबति सब विकेट गुमौनेछल । गुजरातके डायन स्मिथ ३३ बलमे ५४ रन, इशान किसन ४० बलमे ६१ रन, रविन्द्र जडेजा १४ बलमे २० रन बनौलनि । हैदराबादके मोहम्मद सिराज चारि, रसिद खान तीन, भुवनेश्वर कुमार दु के साथे सिद्धार्थ कौल एक विकेट लेलनि ।

Share.

Leave A Reply