अषाढ १४ के चुनाव धुस्काब राजपाके माग, सत्तारुढ दलद्वारा ठाडे अस्वीकार

0

राष्ट्रिय जनता पार्टी नेपाल अषाढ १४ के दोसर चरणके स्थानीय चुनाव घुस्काबके माग कएलकअछि । मुद्दा, सत्तारुढ नेपाली कांग्रेस आ माओवादी केन्द्रसभ अय मागके ठाडे अस्वीकार कएनेअछि ।
प्रधानमन्त्री शेरबहादुर देउवाके आहृवानमे शनिदिन सिंहदरबारमे बैसल तीन दलक बैसारमे राजपाके नेतासभ यथास्थितिमे अपनेसभ चुनावमे आऽब नै सक्वाक बतौलनि । अपनासभके सहभागिता विना होबबला चुनावके अर्थ नै हेवाक कहति राजपाके नेतासभ राजनीतिक मुद्दा सम्बोधन कऽक मात्र चुनाव करके माग कएनेअछि ।
मुद्दा, सत्तारुढ कांग्रेस आ माओवादीके नेतासभ चुनाव घुस्काबके प्रस्ताव अस्वीकार कएनेअछि । ‘किछ प्राविधिक विषय अछि कहि हमसभ सम्बोधन करब । मुद्दा, चुनाव घुस्काब नै सकैछि कहनेछि ’ माओवादी नेता नारायणकाजी श्रेष्ठ प्रकाश कहलनि ।
राजपाके अध्यक्ष मण्डलके सदस्य शरतसिंह भण्डारी प्रतिवद्धतासँ मात्र नै हेवाक कहति संविधान संसोधन लगायत राजनीतिक सवालके सम्बोधन नै भऽक चुनावमे सहभागी होबऽ नै सक्वाक बतौलनि ।
राजपासाथेके समझदारीएमे सरकार बैशाख ३१ के लेल तय भेल चुनाव दु चरणमे करके निर्णय कएनेछल । जयअनुसार ३, ४ आ ६ नम्बर प्रदेशमे बैशाख ३१ म्े पहिल चरणके चुनाव सम्पन्न भेल मुद्दा, राजपा सहभागी नै भेलछल ।
राष्ट्रिय जनता पार्टीके सहभागिताक लेल कहति सरकार जेठ ३१ के लेल तय भेल दोसर चरणके चुनाव सेहो अषाढ ९ होईत १४ के लेल धुस्काओलगेलछल ।
मुद्दा, संविधान संशोधन, जनसंख्याक आधारमे स्थानीय तहके संख्या बृद्धि लगायतक माग रखति राजपासभ चुनावमे सहभागी होबऽ आनाकानी कऽरहलअछि ।

Share.

Leave A Reply