अरुण नदी प्रभावित क्षेत्रमे क्षति होबऽ नै देबऽ गृहमन्त्री निधिके निर्देशन

0

बैशाख ९गते,उपप्रधान एवं गृहमन्त्री विमलेन्द्र निधि संखुवासभाके अरुण नदीमे बडका ताल जम्लासँ ओतके पानी सावधानीपूर्क निकासा कऽक मानवीय क्षति होबऽ नै देबके व्यवस्था मिलाब निर्देशन देलनिअछि । बृहस्पतिदिन बेरिया ४ बजेदिस वरुण नदीमे भू स्खलन अएलाकबाद संखुवासभा भोटखोला गाउँपालिका अन्तर्गत स्याक्सीला गोलामे परबला अरुण नदी थुनाएलअछि। वरुण नदी अरुण नदीमे आबिक मिललअछि । नदीके करिब ३ किलोमिटरधरि जमल पानीके कारण वरुण बजारके चारिटा घरमे क्षति पहुँचलअछि तँ बजारके पूरे बस्ती जोखिममे रहल अछि ।

Share.

Leave A Reply