अमरनाथ दर्शनकेलेल गेल हिन्दु श्रद्धालुके गाडीमे आतंकवादी हमला, ७ के मृत्यु

0

अषाढ २७ गते,भारतके चर्चित अमरनाथ यात्रामे निक्लल हिन्दु श्रद्धालु चढल गाडीमे राती ८ बाजिक ३५ मिनेटमे आतंकवादी हमला भेलअछि । जयमे ७ गोटे श्रद्धालुसभ जान गुमौनेअछि तँ १५ गोटे गम्भीर घाहिल भेल भारतीय न्युज च्यानलसभ बतौनेअछि।
हमला अनन्तनाग नजदिक बटेङ्गुमे भेलअछि । जतँ श्रद्धालुसभ भरल बसभितर आतंकवादीसभ फायरिङ कएने बताओलऽ गेलअछि । प्रारम्भिक रिपोर्ट अनुसार तीन भिन्न ठामसँ आतंकवादीसभ अमरनाथ यात्रुके निशाना बनौनेछल ।
जम्मु कश्मिरके पूर्व मुख्यमन्त्री उमर अब्दुल्ला ट्विट कऽक हमलाके निन्दा कएनेअछि ।

Share.

Leave A Reply