अपहरित नायब सुब्बा भारतके सोनवर्षासँ अपहरणमुक्त

0

श्रावण १५ गते,जिल्ला मालपोत कार्यालय महोत्तरीमे कार्यरत नायब सुब्बा रामजी राय सकुशल अपहरणमुक्त भेलअछि ।
बृहस्पतिदिन कार्यालयसँ घर सर्लाहीके वेल्हीदिस जएवाक क्रममे बाटेसँ अपहरणमे परल नायबसुब्बा राय शनिदिन भारतक बिहार सीतामढी जिल्ला अन्तर्गत सोनवर्षा ग्राम पञ्चायतसँ अपहरणमुक्त भेलछथि ।
अपहरणकारीसभ रायके सोनवर्षास्थित मन्जुर शेखके घरमे राखीक घरपरिवारसाथे २८ लाख रुपैयाँ माग कएने आ देबऽ नै सक्लासँ १० लाख रुपैयाँ बराबरके कागज कऽर लगाक रायके कनियाँ द्रौपती रायके नाममे चिठी लिखाब लगौनेछल ।
व्याह् चिठी लऽक पैसा मँग्वाक क्रममे प्रहरीमे जानकारी प्राप्त भऽक घटनास्थल पहुँचल प्रहरी अपहरणमे संलग्न सर्लाही वेल्ही गाविसके वीरेन्द्र ठाकुरके पक्राउ कएने जिल्ला प्रहरी कार्यालय सर्लाही जनौलकअछि । ठाकुर पक्राउ परलगत्ते अपहरणमे रहल यादवके भारतीय प्रहरीके सहयोगमे अपहरणमुक्त कऽर सफल भेल जिल्ला प्रहरी कार्यालय सर्लाही जनौलकअछि ।
पक्राउ परल ठाकुरके अनुसन्धानक लेल जिल्ला प्रहरी कार्यालय, महोत्तरी पठाओलगेलअछि । ठाकुर अयसँ आगा सेहो विभिन्न समयमे अपहरण कार्यमे संलग्न रहल प्रारम्भिक अनुसन्धानसँ खुलासा भेलअछि । सर्लाहीके धनगाढा माविमे प्राविस्तरके शिक्षक ठाकुर आर्थिक लोभके कारण मिलबला साथी रायके अपहरण कएने खुलासा भेल प्रहरीके अनुसन्धानसँ पुष्टि भेलअछि ।

Share.

Leave A Reply