अपहरण मुद्दामे जिप्रका झापाके खरिदारसहित तीन गोटे पक्राउ, दु फरार

0

चैत्र–२९ गते,प्रहरी मानव अपहरण तथा शरीर बन्धक मुद्दामे जिल्ला प्रशासन कार्यालयके खरिदार तेजेन्द्र न्यौपाने सहित तीन गोटेके पक्राउ कएलकअछि ।पक्राउ परबलासभमे मेचीनगरपालिका ८ के ४२ बर्षीय अजय राई (भुपु कान्छा) आ भद्रपुर ६ के ४० बर्षीय प्रेम न्यौपा रहलअछि । राई कांग्रेस कार्यकर्ता अछि तँ न्यौपाने व्यवसायी रहलअछि ।जिल्ला प्रहरी कार्यालय, झापाके प्रहरी प्रमुख एसपी शैलेश थापा क्षेत्री देने जानकारी अनुसार विर्तामोडके जीवन विष्ट अपनाके अपहरण कऽ बन्धक बनाबिक करोडौं मोल परबला जग्गा पास कऽर लगौने उजुरी देलाकबाद ओकरासभके पक्राउ कएनेअछि ।प्रहरी ओकरासभके जिल्लाके विभिन्न स्थानसँ रबिदिन राति पक्राउ कएने जनौलकअछि ।घटनामे संलग्न दु गोटे अखनो फरार रहल प्रहरी जनौलकअछि । ओकरसभक खोजी कार्य जारी रहल एसपी क्षेत्री जानकारी देलनि ।अहिबीच, प्रहरी सोमदिन मालपोत कार्यालय, झापाके दु गोटे कर्मचारीके समेत घटनाके सम्बन्धमे बुझ नियन्त्रणमे लेने बतौलकअछि । घटनाके विषयमे थप अनुसन्धान भऽरहल झापा प्रहरी जनौलकअछि ।

 

 

 

Share.

Leave A Reply