अन्ततः कीर्तिमानी रकममे पिएसजी गेल नेइमार

0

श्रावण १९ गते,स्पेनिस क्लब बार्सिलोनके ब्राजिलियन स्टार स्ट्राइकर नेइमार अखनधरिके बेसी रकममे फ्रेन्च क्लब पेरिस सेन्ट जर्मेन –पि एस जी) मे अनुबन्धित भेलअछि । नेइमार २२ करोड २० लाख युरोमे पि एस जी गेलछथि ।
विश्व कीर्तिमानी मूल्यमे पि एस जी गेल नेइमार ओतँँ हप्ताके ८ लाख ६५ हजार युरो पारिश्रमिक पाओत । एकर अर्थ २५ वर्षक नेइमार पि एस जीसँ करसहित वर्षके चारि करोड ५० लाख युरो पारिश्रमिक पाओत । पि एस जी नेइमारसाथे पाँच वर्षके सम्झौता कएनेअछि ।
अनुबन्धित होबके साथे नेइमार अपने युरोपके एक महत्वपूर्ण क्लबमे आएल बतौनेछलथि । ‘पि एस जी के महत्वपूर्ण योजनासभसँ हम आकर्षित भेलछि, हम आईएसँ केहनो चुनौतीके सामना कऽर तयार छि’ ओ कहलनि ।

Share.

Leave A Reply