अनुमति बिना सवारी चलाबमे रोक

0

बैशाख ३१ गते,आय भिन्सर ५ बजेसँ साँझ ७ बजेधरि निर्वाचन आयोगसँ सवारी सञ्चालनके अनुमति लेने सवारीसभ मात्र सञ्चालन होबके जनाओलगेलअछि ।काठमाडौँ उपत्यका ट्राफिक प्रहरी महाशाखाके प्रहरी निरीक्षक मधुसूदन सिलवालके अनुसार आय अनुमतिपत्र नै लेने सवारी साधन सञ्चालनमे रोक लगाओलगेलअछि । सुरक्षाकर्मी, सूचना विभागसँ अनुमति पत्र लेने तथा पर्यटक सुरक्षाकर्मीके सवारी साधनसभ सञ्चालनमे रहत ।विदेशसँ आएल पर्यटकसभके लेल त्रिभुवन विमानस्थलसँ तीनटा अलग अलग रुटमे सवारी साधन सञ्चालन करऽलागलअछि ।हुनक अनुसार निर्वाचनक लेल गत वैशाख १ गतेसँ आयधरि काठमाडौँसँ बाहर जायबला यात्रुके सङ्ख्या २२ लाख ४४ हजार ४५९ पहुँचलअछि तँ काठमाडौँ भित्रिआयउबलाके सङ्ख्या २१ लाख ३८ हजार ९ सय ३८ रहलअछि ।

Share.

Leave A Reply