अञ्चल अस्पतालके कार्यशैली सुधार नेपाल पत्रकार महासंघ धनुषाके माग

0

श्रावण ४ गते,जनकपुर अञ्चल अस्पताल सुधारक लेल पत्रकारसभद्वारा कएलगेल अनुगमनके विषयके लऽक स्वास्थ्य सेवासँ सम्बन्धीत संघ संस्थासभ कएन विरोधप्रति नेपाल पत्रकार महासंघ धनुषा शाखा अपन ध्यानकर्षण भेल महासंघ जनौलकअछि ।
नेपाल पत्रकार महासंघ धनुषा शाखाक अध्यक्ष अनिल मिश्रके अध्यक्षतामे बुधदिन बैसल बैसारसँ जनताके स्वास्थ्यसँ प्रत्यक्ष सरोकार रख्ने जनकपुर अञ्चल अस्पताल बेर बेर लापरबाही ढंगसँ प्रस्तुत होईत आएल कहति स्वास्थ्य सेवा प्रवाहमे ग्ुणस्तरीयता लाबऽ जोडदार माग कएलकअछि ।
बैसारसँ अञ्चल अस्पताल जनकपुरक चिकित्सकसभ बेर बेर करति आएल लापरबाहीके विषय बाहर लाबऽ पत्रकारसभद्धारा कएने स्टिङ अपरेशनविरुद्ध ओकरासभ उपर कानुनी कारबाहीके माग केनाई प्रेस स्वतन्त्रताउपर हस्तक्षेप भेल ठहर करति समाचार संकलन कर्वाक वातावरण निर्माणमे जोड देने महासंघ धनुषा शाखा जारी कएने विज्ञप्तीमे उल्लेख अछि ।
ओय बैसारसँ नेपाल सरकार तोक्ने समयावधिधरि अञ्चल अस्पतालक चिकित्सकसभ सेवा नै देनाई, समयमे हाजिरी कऽक निजि क्लिनिकमे रोगी जाँत जेहन कार्यशैलीमे यथाशिघ्र सुधार लाबऽ समेत माग कएलकअछि ।

Share.

Leave A Reply