अखनधरिके प्रारम्भिक मत परिणाम अनुसार एमाले पहिल, कांग्रेस दोसर आ माओवादी तेसर स्थानमे जीत हासिल करमे सफल

0

स्थानीय तह दोसर चरणके प्रारम्भिक मत परिणाम अनुसार नेकपा एमाले अग्रता लेनेअछि । बुधदिन सम्पन्न निर्वाचनके प्रारम्भीक मत परिणाम अनुसार नेकपा एमाले अपनाके अगाडि लओनेअछि । अहिना कऽ नेपाली कांग्रेस दोसर आ माओवादी केन्द्र तेसर स्थानमे रहलअछि ।
निर्वाचन आयोगके अनुसार, विभिन्न जिल्लामे जारी मतगणनाके परिणाम धमाधम आबिरहलअछि । बुधदिन प्रदेश नम्बर १, ५ आ ७ के निर्वाचन भेलछल । अखन १५६ स्थानीय तहके मतगणना भऽरहलअछि ।
अखनधरि गणना भेल १५६ स्थानीय तहमध्ये प्रदेश नं Þ१मे एमाले १० स्थानमे जीत हाँसिल कएनेअछि तँ ४८ स्थानमे अगुआएलअछि । तहिना नेपाली कांग्रेस ६ स्थानमे जीत आ ५१ स्थानमे अग्रतालेनेअछि, माओवादी केन्द्र २ स्थानमे जीत आ ८ स्थानमे अग्रता लेनेअछि तँ अन्य पार्टी ३, राष्ट्रिय प्रजातन्त्र पार्टी १ स्थानमे अग्रता लेनेअछि ।
अहिना प्रदेश नं Þ ५ मे माओवादी केन्द्र अगाडि देखलगेलअछि । माओवादी केन्द्र ८ स्थानमे जीत हाँसिल कऽ ९ स्थानमे अग्रता लेनेअछि तँ नेपाली कांग्रेस ३ स्थानमे जीत हाँसिल कऽ २९ स्थानमे अग्रता लेनेअछि । अहिना एमाले २ स्थानमे जीत हाँसिल कऽ ३९ स्थानमे अग्रता लेनेअछि तँ अन्य २ स्थानमे जीत हाँसिल कऽ ८ स्थानमे अग्रता लेनेअछि तहिनाँ राष्ट्रिय प्रजातन्त्र पार्टी ३ स्थानमे अगुआएल देखलगेलअछि ।
तहिना प्रदेश नं ७ मे नेपाली काँग्रेस अगाडि देखल गेलअछि । नेपाली कांग्रेस १२ स्थानमे जीत हाँसिल कएनेअछि तँ २४ स्थानमे अग्रता लेनेअछि ।
तहिना एमाले ११ स्थानमे जीत हाँसिल कऽ १६ स्थानमे अग्रता लेनेअछि तँ माओवादी केन्द्र २ स्थानमे जीत हाँसिल कऽ ११ स्थानमे अग्रता लेनेअछि । अहिना अन्य पार्टी ३ स्थानमे अग्रता लेनेअछि तँ राष्ट्रिय प्रजातन्त्र पार्टी १ स्थानमे अगुआएल देखल गेलअछि ।

Share.

Leave A Reply